For any Query/Feedback/Suggestion related to OBO, please contact:- admin@openbooksonline.com & contact2obo@gmail.com, you may also call on 09872568228(योगराज प्रभाकर)/09431288405(गणेश जी "बागी")

हम मिथिला केर वासी छी
हम मिथिला केर वासी छी
अछि गौरव हमरा भाषा पर
कि हम मैथिली भाषी छी,
हम मिथिला केर वासी छी,

एहि पवित्र धरती पर लेलनि
जग-जननी सीता अवतार,
लोक-कंठ सं गूँजी रहल अछि
कवि विद्यापति के उदगार

पूजनीय छथि मिथिला वासी
एहि बातक विश्वासी छी,
हम मिथिला केर वासी छी

बाजव हमर ततेक मधुर अछि
सुनिते सब जन होथि प्रसन्न
उपजशील धरती एहि ठामक
उपजै अछि सब तरहक अन्न

माँछ, मखान, पान के प्रेमी
रस सं भरल विलासी छी,
हम मिथिला केर वासी छी

बांसक बनल वस्तु सब देखू
सींक, चंगेरी, सुपती, मौनी
कोकटी धोती, तन पर मिरजई
पाग माथ पर काँधे तौनी,

कला, साहित्य, संगीत, नीति के
हम ही सब प्रकाशी छी,
हम मिथिला केर वासी छी

एकरा पगतल के पखारि के
गंगा माता होथि प्रवाहित
आर अनेक नदी नाला सब
एहि धरती पर भेल समाहित

वैभव सं परिपूर्ण करै हित
प्रत्यनशील प्रयासी छी,
हम मिथिला केर वासी छी

एतय बहुत विद्वान भेला हे
कवि, गायक ओ नाटककार
सब तरहें संपन्न भेल अछि
आर बढ़त नित एकर निखार

सदिखन एकर नाम हो रोशन
सदा काल अभिलाषी छी,
हम मिथिला केर वासी छी

Views: 772

Replies to This Discussion

मनोज भईया बहुत ही सुंदर मैथिलि कविता लिखे है , मैं ४ साल मैथिलि भाषी क्षेत्र मे नौकरी किया हूँ ,इस दौरान मुझे मैथिलि का oneway ज्ञान हुआ है , यानी समझ लेता हूँ पर बोल नहीं पाता, आप से निवेदन हैं कि आप मैथिलि भाषी सदस्यों को OBO परिवार से जोड़े और OBO के मंच से मैथिलि के समृद्ध साहित्य को दुनिया के सामने ले आवे, अहा के बहुत बहुत धन्यवाद छी ,
मनोज जी , मोन आनंदित कय देलक, आहाक ई रचना | बहुत - बहुत धन्यवाद और शुभ कामना | - अभय........
sir ji khubsurat rachana

अहाँक ई रचना कहबाक नै, मोन टा मुग्ध कए देलक..

निम्नांकित ई दुइ बंद विशेष रुचगर प्रतीत भेल -

//बाजव हमर ततेक मधुर अछि
सुनिते सब जन होथि प्रसन्न
उपजशील धरती एहि ठामक
उपजै अछि सब तरहक अन्न

माँछ, मखान, पान के प्रेमी
रस सं भरल विलासी छी,
हम मिथिला केर वासी छी

बांसक बनल वस्तु सब देखू
सींक, चंगेरी, सुपती, मौनी
कोकटी धोती, तन पर मिरजई
पाग माथ पर काँधे तौनी,

कला, साहित्य, संगीत, नीति के
हम ही सब प्रकाशी छी,
हम मिथिला केर वासी छी//

 

भाईजी, एह उत्कृष्ट रचना पर हम्मर दृष्टि विलंब सँ पड़ि रहल अछि  तकरा लेल हम अहाँ सँ क्षमा-याचना कर रहल छी.

पुनर्पुनः बधाई..

RSS

कृपया ध्यान दे...

आवश्यक सूचना:-

1-सभी सदस्यों से अनुरोध है कि कृपया मौलिक व अप्रकाशित रचना ही पोस्ट करें,पूर्व प्रकाशित रचनाओं का अनुमोदन नही किया जायेगा, रचना के अंत में "मौलिक व अप्रकाशित" लिखना अनिवार्य है । अधिक जानकारी हेतु नियम देखे

2-ओपन बुक्स ऑनलाइन परिवार यदि आपको अच्छा लगा तो अपने मित्रो और शुभचिंतको को इस परिवार से जोड़ने हेतु यहाँ क्लिक कर आमंत्रण भेजे |

3-यदि आप अपने ओ बी ओ पर विडियो, फोटो या चैट सुविधा का लाभ नहीं ले पा रहे हो तो आप अपने सिस्टम पर फ्लैश प्लयेर यहाँ क्लिक कर डाउनलोड करे और फिर रन करा दे |

4-OBO नि:शुल्क विज्ञापन योजना (अधिक जानकारी हेतु क्लिक करे)

5-"सुझाव एवं शिकायत" दर्ज करने हेतु यहाँ क्लिक करे |

6-Download OBO Android App Here

हिन्दी टाइप

New  देवनागरी (हिंदी) टाइप करने हेतु दो साधन...

साधन - 1

साधन - 2

Latest Activity

Ashok Kumar Raktale replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"  आदरणीय सुशील सरना साहब सादर, सुंदर दोहे हैं किन्तु प्रदत्त विषय अनुकूल नहीं है. सादर "
2 hours ago
Ashok Kumar Raktale replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"आदरणीय चेतन प्रकाश जी सादर, सुन्दर गीत रचा है आपने. प्रदत्त विषय पर. हार्दिक बधाई स्वीकारें.…"
2 hours ago
Ashok Kumar Raktale replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"  आदरणीय सुरेश कुमार 'कल्याण' जी सादर, मौसम के सुखद बदलाव के असर को भिन्न-भिन्न कोण…"
2 hours ago
Sushil Sarna commented on Sushil Sarna's blog post दोहा सप्तक. . . धर्म
"आदरणीय सौरभ जी सृजन के भावों को मान देने का दिल से आभार आदरणीय "
5 hours ago
Sushil Sarna replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"दोहा सप्तक. . . . . मित्र जग में सच्चे मित्र की, नहीं रही पहचान ।कदम -कदम विश्वास का ,होता है…"
9 hours ago
Chetan Prakash replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"रचना पोस्ट करते समय कोई भूमिका न लिखें, सीधे अपनी रचना पोस्ट करें, अंत में अपना नाम, पता, फोन नंबर,…"
15 hours ago
Chetan Prakash replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"गीत••••• आया मौसम दोस्ती का ! वसंत ने आह्वान किया तो प्रकृति ने श्रृंगार…"
22 hours ago
सुरेश कुमार 'कल्याण' replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"आया मौसम दोस्ती का होती है ज्यों दिवाली पर  श्री राम जी के आने की खुशी में  घरों की…"
yesterday
Admin replied to Admin's discussion "ओ बी ओ लाइव महा उत्सव" अंक-171
"स्वागतम"
Friday

सदस्य टीम प्रबंधन
Saurabh Pandey commented on Sushil Sarna's blog post दोहा सप्तक. . . धर्म
"आदरणीय सुशील सरना जी, आपकी दोहावली अपने थीम के अनुरूप ही प्रस्तुत हुई है.  हार्दिक बधाई "
Friday

सदस्य टीम प्रबंधन
Saurabh Pandey commented on Sushil Sarna's blog post दोहा सप्तक. . . जीत - हार
"आदरणीय सुशील सरना जी, आपकी दोहावली के लिए हार्दिक धन्यवाद.   यह अवश्य है कि…"
Friday

सदस्य टीम प्रबंधन
Saurabh Pandey commented on Sushil Sarna's blog post शर्मिन्दगी - लघु कथा
"आदरणीय सुशील सरना जी, आपकी प्रस्तुति आज की एक अत्यंत विषम परिस्थिति को समक्ष ला रही है. प्रयास…"
Friday

© 2025   Created by Admin.   Powered by

Badges  |  Report an Issue  |  Terms of Service